लाले लाले अरहुल के माला बनेलऊँ,
गरदनि लगा लियोऊ माँ,
हे माँ गरदनि लग लियोऊ माँ।।
हम सब छी धीया-पूता आहाँ महामाया,
आहाँ नई करबै त करतै के दाया,
ज्ञान बिनु माटिक मुरति सन ई काया,
तकरा जगा दिय माँ,
हे माँ तकरा जगा दिय माँ।।
कोठा-अटारी ने चाही हे मइया,
चाही सिनेह नीक लागै मड़ैया,
ज्ञान बिनु माटिक मुरुत सन ई काया,
तकरा जगा दिया माँ,
हे माँ तकरा जगा दिया माँ।।
आनन ने चानन कुसुम सन श्रींगार,
सुनलऊँ जे मइया ममता अपार,
भवन सँ जीवन पर दीप-दीप पहार भार,
तकरा हटा दिय माँ,
हे माँ तकरा हटा दिय माँ।।
सगरो चराचर अहीं केर रचना,
सुनबई अहाँ नै त सुनतै के अदना,
भावक भरल जल नयना हमर माँ,
चरनऊ लगा लियोऊ माँ,
हे माँ चरनऊ लगा लियोऊ माँ।।
लाले लाले अरहुल के माला बनेलऊँ,
गरदनि लगा लियोऊ माँ,
हे माँ गरदनि लग लियोऊ माँ।।
Singer / Upload – Rupesh Choudhary
7004825279